Wednesday, August 25, 2010

सभक्ति प्रभुमे समर्पित

बाल्मिकिसंग अहाँ छोडी हमरा,
धर्तीमे सिम्टैलs किए दैत छि यौ !
नटवर नागर यौ गिरीधर,
बृजवालासंग कतेs नचै छि यौ !१!

द्रौपदीके परिहास से बचाबे,
सदैब त मर्यादा देखैत छि यौ !
सीता बनाकs सदिखन हमरा,
बृजवालासंग कतेs नचै छि यौ !२!

युद्धभूमिके सारथी नारायण,
गीतावाणी अहाँ सुनवैत छि यौ !
हमर आर्तनादसे ध्यान हटा,
बृजवालासंग कतेs नचै छि यौ !३!

पत्थरमे हे जीवन देनिहारा,
मोर मुकुट धारण करैत यौ !
हमरालेल पाथर बनि अहाँ,
बृजवालासंग कतेs नचै छि यौ !४!

भक्ति-भावमे अति शक्ति दर्साबs,
जुठ बैर ग्रहण करैत छि यौ !
संसार-व्याप्त दुराचारके बादो,
बृजवालासंग कतेs नचै छि यौ !५!

विनय विनित भs करै पुकार,
अनूनय हमर सुन लिजौ यौ !
कलयुगी राक्षश देखलोपर,
बृजवालासंग कतेs नचै छि यौ !६!

अस्तु

1 comment: